7
परमेश्वरक लोक सभ पर सुरक्षाक छाप 
 1 तकरबाद हम देखलहुँ जे चारिटा स्वर्गदूत पृथ्वीक चारू कोना पर ठाढ़ छथि आ पृथ्वीक चारू बसात केँ रोकि कऽ रखने छथि, जाहि सँ धरती पर, समुद्र पर आ गाछ-वृक्ष सभ पर बसात नहि बहय।  2 फेर हम एकटा आरो स्वर्गदूत केँ जीवित परमेश्वरक मोहर लऽ कऽ पूब दिस सँ ऊपर अबैत देखलहुँ। ओ ओहि चारू स्वर्गदूत केँ, जिनका सभ केँ धरती आ समुद्र केँ हानि पहुँचयबाक अधिकार देल गेल छलनि, जोर सँ आवाज दऽ कऽ कहलथिन,  3 “जा धरि हम सभ अपन परमेश्वरक सेवक सभक कपार पर मोहरक छाप नहि लगा दैत छी, ता धरि धरती, समुद्र आ गाछ-वृक्ष सभ केँ कोनो हानि नहि पहुँचाउ।”  4 तखन हम ओहि लोक सभक संख्या सुनलहुँ, जकरा सभ पर मोहरक छाप लगाओल गेलैक। ओ संख्या छल एक लाख चौआलिस हजार। ओ सभ इस्राएलक प्रत्येक कुल मे सँ छल। 
 5 यहूदा-कुल मे सँ बारह हजार लोक सभ पर, 
रूबेन-कुल मे सँ बारह हजार लोक सभ पर, 
गाद-कुल मे सँ बारह हजार लोक सभ पर, 
 6 आशेर-कुल मे सँ बारह हजार लोक सभ पर, 
नप्ताली-कुल मे सँ बारह हजार लोक सभ पर, 
मनश्शे-कुल मे सँ बारह हजार लोक सभ पर, 
 7 सिमियोन-कुल मे सँ बारह हजार लोक सभ पर, 
लेवी-कुल मे सँ बारह हजार लोक सभ पर, 
इस्साकार-कुल मे सँ बारह हजार लोक सभ पर, 
 8 जबूलून-कुल मे सँ बारह हजार लोक सभ पर, 
यूसुफ-कुल मे सँ बारह हजार लोक सभ पर 
आ बिन्यामीन-कुल मे सँ बारह हजार लोक सभ पर मोहरक छाप लगाओल गेल। 
विशाल भीड़ द्वारा परमेश्वरक वन्दना 
 9 तकरबाद हम आँखि ऊपर उठौलहुँ, तँ हमरा सामने मे एक विशाल भीड़ देखाइ पड़ल, जकर गिनती केओ नहि कऽ सकैत छल। ओहि भीड़ मे प्रत्येक जाति, प्रत्येक कुल, प्रत्येक राष्ट्र आ प्रत्येक भाषाक लोक छल। ओ सभ उज्जर वस्त्र पहिरने छल आ हाथ मे खजूरक छज्जा लेने सिंहासन आ बलि-भेँड़ाक सम्मुख ठाढ़ छल।  10 ओ सभ जोर-जोर सँ कहि रहल छल जे, “सिंहासन पर विराजमान हमरा सभक परमेश्वर द्वारा आ बलि-भेँड़ा द्वारा मात्र उद्धार अछि।”*  7:10 वा, “सिंहासन पर विराजमान हमरा सभक परमेश्वर आ बलि-भेँड़ा विजयी छथि।”  
 11 सभ स्वर्गदूत सिंहासनक, धर्मवृद्ध सभक आ ओहि चारू जीवित प्राणीक चारू कात ठाढ़ छलाह। ओ सभ सिंहासनक सम्मुख मुँह भरे खसि कऽ ई कहैत परमेश्वरक वन्दना कयलनि जे,  12 “ई बात सत्य अछि†  7:12 मूल मे, “आमीन!” ! हमरा सभक परमेश्वरक स्तुति, महिमा, बुद्धि, धन्यवाद, आदर, शक्ति आ सामर्थ्य युगानुयुग होनि। आमीन!” 
 13 तकरबाद धर्मवृद्ध सभ मे सँ एक गोटे हमरा पुछलनि जे, “ई सभ जे उज्जर वस्त्र पहिरने अछि, से के अछि, आ कतऽ सँ आयल अछि?” 
 14 हम उत्तर देलियनि, “यौ सरकार, ई बात तँ अहीं जनैत छी।” तखन ओ हमरा कहलनि जे, “ई लोक सभ वैह अछि जे महाकष्ट सहि कऽ आयल अछि। ई सभ अपन वस्त्र बलि-भेँड़ाक खून मे धो कऽ उज्जर कऽ लेने अछि।  15 एहि लेल ई सभ परमेश्वरक सिंहासनक सम्मुख ठाढ़ रहैत अछि आ दिन-राति हुनका मन्दिर मे हुनकर सेवा करैत रहैत छनि। ओ, जे सिंहासन पर विराजमान छथि, एकरा सभक संग निवास करथिन आ सुरक्षित रखथिन।  16 एकरा सभ केँ ने तँ कहियो फेर भूख लगतैक आ ने पियास। एकरा सभ केँ ने तँ प्रचण्ड रौद सँ कष्ट होयतैक आ ने लू लगतैक।  17 किएक तँ बलि-भेँड़ा जे सिंहासनक बीच विद्यमान छथि, से एकरा सभक चरबाह रहथिन आ एकरा सभ केँ जीवनक जलक झरना लग लऽ जयथिन। और परमेश्वर एकरा सभक आँखिक सभ नोर पोछि देथिन।”